ब्लॉग प्रबन्ध मण्डली :-

प्रधान सम्पादक- करण समस्तीपुरी, सम्पादक- जन्मेजय, सँयोजक- कुन्दन कुमार मल्लिक,

Thursday 28 May 2009

मिथिला के नौनिहाल : youth of mithila

मिथिलावासी! हम ई कविता लिखलौं अपन भावना संप्रेषित करैला ,आई मिथिला के आवश्यकता छै कि एकर सपूत सब आगा आइब क' एकरा लै अपन योगदान दइ,,,अपन कर्तव्य'क निर्वाह करै। हम अइलै तैयार छी,,,,,,,,कि आँहाँ तैयार छी??????


मिथिला के नौनिहाल


मिथिला के नौनिहाल छी हम
काइल के लेल तैयार छी हम!

जे आइब रहल अछि
प्रखर-पुँज
ओइ 
नव युग के
आधार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!

हम छी भविष्य अइ मिथिला के,
छी नौनिहाल अइ धरती के;
जे ताइक रहल अछि
घुइर-घुइर,
ओइ 
स्वर्णयुग के
आसार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!

विपदा अनेक अइ धरती पर
अछि आइ मचेने त्राहि-त्राहि;
फइला जे रहल अछि
अनहार सघन,
ओइ 
दानव के
संहार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!

अपावन भेल इ जानकी-ग्राम,
घट-घट पर रावण बइसल अछि;
जे नइ हुअक चाही
अइ धरती पर
ओइ 
अनीति के
प्रतिकार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!

ध्वस्त करु अइ जर्जर के,
किछु नूतन आऊ स्रिजन करी;
जे अछि वरेण्य
अइ मिथिला लै,
ओइ 
क्रान्ति के
विस्तार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!



-जन्मेजय

3 comments:

ANANT said...

Bahoot badhiya Janmejay bhai.... ekdum prasangik aa marmik aichh apnek rachna... Aavasykta aichh ki aih "Lekhni" ke "Karni" mein tabdeel kona kail jaiy... shayad saamoohik prayass saun... Aasha aichh je apnek ei rachna aih dishaa mein saarthak pahal karat aa apan sab ke bhavishya behtar hoyat... Sach kahlaunh aahan...

विपदा अनेक अइ धरती पर
अछि आइ मचेने त्राहि-त्राहि;
फइला जे रहल अछि
अनहार सघन,
ओइ दानव के
संहार छी हम।
काइल के लेल तैयार छी हम!

Sachmuch... Hum sab vaakai taiyaar chhi...!!

Shubh-kaamna !!!!

sanjana said...

well said..!!!


best wishes..!!

regards
sanjana

SANDEEP KUMAR said...

Bad nik lagal aahan sab ke pryas.
aahan ke ham ati dhanyvadi chhik je hamara ahahn sab chetailu ki hamhu ai me shamil bha saku.

Sandeep

 

कर्ण कायस्थ चिठ्ठी